नेपाल राष्ट्र बैङ्कद्वारा नयाँ एकीकृत निर्देशन जारी
काठमाण्डू, ११ आसिनः कमसँ कम १०० महिलाकेँ रोजगारी देल गेल निर्यातमूलक उद्योग सञ्चालन करैबला संस्थाकेँ न्यूनतम ब्याजदरमे कर्जा प्रदान कएल जाएत ।नेपाल राष्ट्र बैङ्कद्वारा सार्वजनिक कएल गेल नयाँ एकीकृत निर्देशनमे न्यूनतम २५ प्रतिशत मूल्य अभिवृद्धि क कूल उत्पादनक २५ प्रतिशत निर्यात करैबला उद्योगकेँ इजाजत प्राप्त संस्था अपन आधारदरमे बेसीसँ बेसी एक प्रतिशत बिन्दु प्रिमियम जोइड़ क कर्जाक ब्याजदर कायम क सकबाक प्रबन्ध कएल गेल अइछ ।एहिना, जेनजी पुस्ताक प्रदर्शनक क्रममे भेल असामान्य परिस्थितिसँ प्रत्यक्ष रूपसँ प्रभावित उद्योग, व्यापार, व्यावसायिक प्रतिष्ठान तथा आर्थिक गतिविधिमे कार्यरत कर्मचारीकेँ तलब भत्ता सहितक सुविधाक लेल आधार दरमे बेसीसँ बेसी शुन्य दशमलव ५० प्रतिशत बिन्दु मात्र प्रिमियम जोइड़ क कर्जा प्रदान करबाक व्यवस्था अइछ ।ओहन कर्जा एक साल वा संस्था सञ्चालनमे आबएमे लागैबला अवधिमध्ये जे कम होएत, ओइ अवधिके लेल प्रवाह करए पड़त । अइ तरहेँ प्रवाह भेल कर्जामे लागएबला ब्याजदरमे छ महिनाकेँ लेल दू प्रतिशत ब्याजदर सरकारसँ अनुदानमे प्राप्त होएत । ओहन कर्जाक लेल रोजगारदाता संस्था अगिला पुस महिना भीतरमे आवेदन देबए पड़त ।जेनजी प्रदर्शनसँ प्रत्यक्ष रूपसँ प्रभावित उद्योग, व्यवसायिक प्रतिष्ठानमे व्यवसायिक रूपसँ प्रयोग भ रहल सवारी तथा ढुवानीक साधन क्षति भ प्रतिस्थापन करबाक लेल कर्जा प्रदान करैत काल कर्जा मूल्य अनुपात ८० प्रतिशत कायम क सकबाक व्यवस्था कएल गेल केन्द्रीय बैंकक एकीकृत निर्देशनमे उल्लेख अइछ ।
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)