विश्वकप क्रिकेट छनौटः नेपालद्वारा युएई पराजित
समय सूत्र @
अशोज २७, २०८२
काठमाण्डू, २७ आसिनः आइसिसी ट्वान्टी–२० विश्वकप एसिया एन्ड इस्ट एसिया प्यासिफक छनौटक सुपर सिक्सके खेलमे नेपाल जीत हासिल केलक अइछ ।ओमानके अल अमेरातस्थित ओमान क्रिकेट एकेडेमी–१ मे रैबदिन राइत भेल खेलमे युएईकेँ एक रनसँ पराजित करैत नेपाल जीत हासिल कएने अइछ । नेपाल देने १ सओ ४१ रनक लक्ष्यसहित मैदान आएल युएई निर्धारित २० ओभरमे ९ विकेटके नोक्सानीमे १ सओ ३९ रन मात्रे बनाइब सकल ।युएईके लेल अलिशान सराफू सर्वाधिक ५८ रनक योगदान केलैन । तहिना, ध्रुव पराशर ३२ रन बनौलैन, तँ जोनाथन फिगी १९ रन बनौलैन ।नेपालक लेल दीपेन्द्र सिंह ऐरी सर्वाधिक तीन विकेट लेलैन । तहिना, गुल्शन झा, सन्दीप लामिछाने आ सोमपाल कामी समान एक–एक विकेट लेलैन ।टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित २० ओभरमे छ विकेटके नोक्सानीमे १ सओ ४० रन बनौने छल । नेपालक लेल आसिफ शेख सर्वाधिक ५१ रनक योगदान केलैन । तहिना, कुशल भुर्तेल २८, कप्तान रोहित पौडेल २० तथा आ गुल्शन झा १४ रनक योगदान केलैन ।युएईके लेल जुनेद सिद्दिकी, मुहम्मद रोहिद, जाहिद अली, ध्रुव पराशर, हर्षित कौशिक आ हेदर अली समान एक–एक विकेट लेलैन । नेपाल दोसर खेल काइल्ह (शुक्रदिन) कतार सङ खेलाएत । उक्त खेल नेपाली समयअनुसार राइत ८ः४५ बजे सुरु हएत ।
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)