नेपालद्वारा कुवेत पराजित

अशोज २३, २०८२

काठमाण्डू, २३ आसिनः आइसिसी टीट्वान्टी विश्वकप एसिया तथा इस्ट एसिया प्यासिफिक छनौट खेलमे नेपाल जीत हासिल केलक अइछ ।ओमानक अल अमरातस्थित ओमान क्रिकेट एकेडेमी-१ मे बुधदिन राइत भेल समूह ‘बीके पहिल खेलमे नेपाल कुवेतकेँ ५८ रनसँ पराजित करैत जीत हासिल केलक अइछ ।नेपाल देने १ सओ ४२ रनक लक्ष्यसहित मैदान आएल कुवेत १८ दशमलव एक ओभरमे अल आउट भ क जमा ८३ रन मात्रे बनाइब सकल ।कुवेतक लेल ‘ओपनर क्लिन्टो आन्टो सर्वाधिक २६ रनक योगदान केलैन, तँ यासिन पटेल १९ रन बनौलैन ।बलिङदिस नेपालक सन्दीप लामिछाने, ललितनारायण राजवंशी आ रोहित पौडेल समान दूदू विकेट लेलैन, तँ कुशल भुर्तेल, सोमपाल कामी आ नन्दन यादव समान एकएक विकेट लेलैन ।ओइसँ पहिने टस हाइर क ‘ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित २० ओभरमे ७ विकेटके नोक्सानीमे १ सओ ४१ रन बनौने छल । नेपालक लेल कुशल भुर्तेल सर्वाधिक ६६ रनक योगदान देलैन । तहिना, गुल्सन झा आ दीपेन्द्र सिंह ऐरी समान २०/२० रन बनौलैन, तँ कप्तान रोहित पौडेल १६ रनक योगदान देलैन ।कुवेतक लेल नवीनराज राजेन्द्रन आ अनुदीप चन्दामारा समान दूदू विकेट लेलैन, तँ मोहम्मद आकिफ फरुक एक विकेट लेलैन । आब नेपाल समूह चरणके दोसर खेल काइल्ह (शुक्रदिन) खेलत ।

सम्पर्कमा रहनुहोस्